सामग्री पर जाएँ

वेङ्कटरामन रामकृष्णन

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
वेङ्कटरामन रामकृष्णन
जन्म१९५२
चिन्दबरम, तमिल नाडु, भारत
निवाससंयुक्त राजशाही (ब्रिटेन)
राष्ट्रीयतासंयुक्त राज्य अमेरिका
क्षेत्रजैव-रासायन, जैव-भौतिकी आ कम्प्युटेसनल जीवविज्ञान
संस्थाएँएमआरसी लेबोरेट्रिज अफ मोलिक्युलर बायोलोजीक स्ट्रकचरल स्टडिज विभाग, क्याम्ब्रिज, इङ्ल्यान्ड
प्रसिद्ध कार्यएक्स-रे क्रिस्टेलोग्राफी
पुरस्काररसायन विज्ञानमे नोबेल पुरस्कार, २००९

वेङ्कटरामन "वेङ्की" रामकृष्णन (तमिल: வெங்கட்ராமன் ராமகிருஷ்ணன்) (जन्म: १९५२, तमिलनाडु) एक जीव वैज्ञानिक छी । हिनका सन् २००९मे रसायन विज्ञानक नोबेल पुरस्कार सँ सम्मानित कएल गेल छल ।[] हिनका ई पुरस्कार कोशिकाक भितर प्रोटिनक निर्माण करैवाला राइबोसोमक कार्यप्रणाली व संरचनाक उत्कृष्ट अध्ययनक लेल प्रदान कएल गेल छल । हिनकर ई उपलब्धि सँ कारगर प्रतिजैविकसभक विकसित करैमे सहायता मिलत । इजरायली महिला वैज्ञानिक अदा योनोथ आ अमेरिकाक थमस स्टिजक सेहो संयुक्त रूप सँ ई सम्मानक लेल चुनल गेल छल ।[]

तीनु वैज्ञानिकसभ त्रि-आयामी चित्रक मद्दत सँ दुनियाक समझेलक कि कोन तरह सँ राइबोसोम अलग-अलग रसायनसभके संग प्रतिक्रिया करैत अछि, एकर लेल ओ एक्स-रे क्रिस्टलोग्राफीक सहारा लेने छल जे राइबोसोम्जक हजारो गुना पैग चित्र आगा लाबैत अछि । वर्तमानमे श्री वेङ्कटरामन रामकृष्णन ब्रिटेनक प्रतिष्ठित क्याम्ब्रिज विश्वविद्यालय सँ जुडल अछि आ विश्वविद्यालयक एमआरसी लेबोरेट्रिज अफ मोलिक्युलर बायोलोजीक स्ट्रकचरल स्टडिज विभाग (संरचनात्मक अध्ययन) विभागक प्रमुख वैज्ञानिक छी ।[]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "The Nobel Prize in Chemistry 2009 "for studies of the structure and function of the ribosome""। Nobel Prize.org। {{cite web}}: Unknown parameter |accessmonthday= ignored (help); Unknown parameter |accessyear= ignored (|access-date= suggested) (help); line feed character in |title= at position 34 (help)
  2. "जिन्दगी के रसायन ने दिलाया रामकृष्णन को नोबेल"। पत्रिका डाट कम। {{cite web}}: Unknown parameter |accessmonthday= ignored (help); Unknown parameter |accessyear= ignored (|access-date= suggested) (help)
  3. "भारतीय मूल के वेंकटरामन को नोबेल सम्मान"। BBC। {{cite web}}: Unknown parameter |accessmonthday= ignored (help); Unknown parameter |accessyear= ignored (|access-date= suggested) (help)

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]